Wednesday, March 02, 2011

महाशिवरात्री पावनि आइ घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल


जनकपुर, फागुन १८ । महाशिवरात्री पावनि आइ घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल अछि ।

जनकपुर, काठमाण्डौ सहितक नेपाल भारतक बिभिन्न शिबालय तथा महादेब मन्दिरसबमे दर्शन करबाकलेल आइ भोरेसँ श्रद्बालु भक्तजनसभहक भीड लागल अछि । जनकपुरक शिव चौकके शिब मन्दिर, कपिलेश्वरके कपिलेश्वरनाथ महादेबमे भोरेसँ दर्शन करबाकलेल श्रद्बालु भक्तजनसभहक भिड लागल अछि । तहिना जलेश्वरके जलेश्वर नाथ महादेव मंदिर आ भारतक कल्यानेश्वर शिवालयसभमे भक्तजनसभहक भिन्सरेसँ भिड देखलगेल अछि । एम्हर, अहि अबसरमे ब्रम्हाकुमारी राजयोग सेवा केन्द्र जनकपुरमे शोभा यात्रा निकाललक अछि ।

अहिना, राजधानीके पशुपति नाथमे भोरेसँ दर्शन करबाकलेल नेपाल तथा भारतक श्रद्बालु भक्तजनसभहक भीड लागल अछि ।

महाशिवरात्रीमे श्रद्बालु भक्तजनसभ दिनभरि उपबास रहि कऽ साँझमे फलफुलके फलहार कऽ शिवरात्री मनबैत अछि। शिवरात्री पावनि कएलासँ अपन मनोकाँक्षा पुरा होएबाक बिश्वास रहल अछि।

एहिबीच, राष्ट्रपति डा रामबरण यादव आ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल पशुपतिनाथक दर्शन कएलनि अछि ।
ओम्हर , भारतक राज नगर थानाके भक्तसिमरमे निलमणि नाथ महादेब मन्दिरमे दरभँगा रेडियोके कलाकारद्बारा प्रेम सागरक भजन कार्यक्रम भ रहल अछि ।

अहिबिच, आइए नेपाली सेना दिवस देशभरि घुमघामके सँग मनाओल जाऽरहल अछि । सेना दिवसक अवसरमे राजधानीक टुडिखेलमे सेना विशेष कार्यक्रमक आयोजना कएने अछि । ओ समारोहमे राष्ट्रपति आ प्रधानमन्त्रीके सहभागी होएवाक कार्यक्रम रहल अछि । प्रत्येक बर्ष शिवरात्रीक दिन नेपाली सेना दिवस मनबैत आबि रहल अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन