Wednesday, March 02, 2011

एसएसबीके दुर्व्यवहारस सीमा क्षेत्रमे तनाव

रौतहट, फागुन १८ । भारतीय सिमा सुरक्षा बलके जवान नेपाल प्रबेश क रौतहटके बन्जाराहा गाबिसके एक स्थानिय बासीके आइ भिन्सर पिटपाट केलक अछि ।

घट्नाक बाद स्थानियबासी भारतीय सीमा सुरक्षाबलके जवान बिरुद्ध प्रतिकारमे उतरल अछि । स्थिति तनाबपुर्ण भेलाबाद नेपाल प्रबेश केने दु एसएसबीके जवानके नेपाल पुलिस नियन्त्रणमे ल चौकीमे रखलाबाद भारतीय सुरक्षाकर्मी सेहो रौतहटके औरैया बेशके तिन सशस्त्र पुलिस जवानके पकैर कऽ सिमा ओइपार ल गेल अछि ।

भारतसँ चाउर किन कऽ आनिरहल रौतहटके बन्जारा गाबिसके मोहम्मद आफताबके बन्जाराहा नाकामे तैनाथ भारतीय सीमा सुरक्षाबलक जवान मन्जुर आलम आ शैलेन्द्र दुबे नेपाल प्रबेश कक पिटपाट करऽ लगलाबाद स्थानिबासी प्रतिकारमे उतरल अछि । सिमा बलक जवान नेपाल प्रबेश कक बन्जाराहामे स्थानिबासीके पिटपाट केने ई दोसर घट्ना अछि । बन्जराहा गाविस-७ के मदनप्रसाद चन्द्रवंशीके एक महिना आगु भारतिय सिमा सुरक्षाबलके जवानसभ पिटपाट क घाईल बनौने छल । स्थिति तनाबग्रस्त भेलाबाद नेपाल पुलिस बन्जाराहा सिमा चौकिके सुरक्षाकर्मि भारतीय एसएसबिके जवानके नियन्त्रणमे ल क रखने छल ।

भारतीय सीमा बलक जवानके बचावय लेल रखने कहैत स्थानियबासी चौकी घेरय लगलाबाद थप मद्धतके लेल औरैया बेश क्याम्पस गेल शसस्त्र प्रहरीके जवान अमृत श्रेष्ठ, नबराज खड्का आ देवी थापाके जिपस जबरजस्ती उतारि कऽ भारतीय सुरक्षाकर्मि सीमा ओइपार ल गेल छल । भारतीय एसएसबीके जवानके छोडलाबाद अपन तिन जवानके भारतिय सुरक्षाकर्मी छोडने बताओलगेल अछि । एखन बन्जाराहाके स्थिति समान्य अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन