Wednesday, March 23, 2011

पुलिसक गोलीस भालु मरल

वीरगन्ज, चैत ९ । पुलिस चलौने गोली लागि पर्सामे एक जगंली भालुके मृत्यु भेल अछि । पर्सा वन्य जन्तु आरक्षस आएल जंगली भालुके नियन्त्रण करयके प्रयासमे मृत्य भेल पुलिस जनौलक अछि ।
भालुके नियन्त्रणमे लेबय पुलिस ७ राउण्ड गोली चलौने इलाका प्रहरी कार्यालय जानकी टोलाके इन्चार्ज लालबहादुर चौधरीले बतौलनि । आइ भिन्सर करिब ११ बजे जंगलस आएल भालुके दसौता पाडेँपुरक स्थानियवासी उपर आक्रमण कएलाबाद पुलिस गोली चलौने चौधरीक कहब अछि ।
भालुके आक्रमणमे परि पाँडेपुरक २ बालक सहित ४ गोटे घाइल भेल अछि । गम्भीर घाइल भेल ७ वर्षक रैफुल गदीके अवस्था चिन्ताजनक रहल नारायणी उपक्षेत्रिय अस्पताल जनौलक अछि । गदीके थप इलाजक लेल भारतक पटना पठाओलगेल परिवारजन बतौलक अछि ।
आरक्षस आएल भालु पाडेँपुरके दसौताके रैफुल गदी, भंगुर गदी, सैफुल गदी आ गिरजा देवी उपर आक्रमण केने छल । जानकीटोला आ पाडेँपुर इलाका पुलिसक संयुक्त टोली भालुके नियन्त्रणमे लेबयके प्रयास केने छल ।
भालु अक्रामक बनय लगलाबाद गोली चलौने पुलिस जनौलक अछि । पर्सा वन्य जन्तु आरक्षके वार्डेन बाबुराम गोपाली नियन्त्रणके लेल भालु उपर गोली चलौनाइ आवश्यक नहि रहल बतौलनि । ओ कहलनि जे, ' भालुके बिना हत्यो केने नियन्त्रणमे लेल जा सकैत छल ।'

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन