Wednesday, March 23, 2011

सीरिया:मस्जिदके बाहर फ़ायरिंग


सीरिया, चैत ९ ।
सीरियामें सुरक्षाकर्मी चलौने अश्रु ग्यास आ गोली लागि कम स कम ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
लगातार चारिम दिन जारी सरकार विरोधी प्रदर्शनमे डेरा शहरमें सुरक्षाकर्मी एकटा मस्जिदके बाहर अश्रु ग्यास आ गोली चलौने छल जाहिमे कम स कम ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
ओम्हर सरकार हिंसाके लेल एक सशस्त्र समुहके दोषी ठहरौलक अछि ।
ट्यूनिशिया आ मिस्रमें सरकार विरोधी प्रदर्शन आ सत्ता परिवर्तनके बाद स मध्य पूर्वके कतेकौ देशमें सरकार विरोधी प्रदर्शन भ रहल अछि ।
प्रदर्शनकारी सत्ताधारी बाथ पार्टीके ख़िलाफ़ प्रदर्शन क रहल अछि आ राजनीतिक स्वतंत्रता, अधिकार तथा भ्रष्टाचारके ख़िलाफ़ कार्रवाही करयके माँग कऽरहल अछि ।
एम्हर, संयु्क्त राष्ट्र मानवाधिकार आयुक्त नवी पिल्लेई कहलनि जे, "सीरियाके सरकार ज़रूरत सँ बेसी बलके प्रयोग नहि करैथ कियाक त सरकारके सामने अपन समस्या पर विचार आ माँग रखनाइ लोगके जायज अधिकार अछि ।"

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन