Wednesday, March 23, 2011

भारतके नाकाबन्दी करय परत गच्छदारक प्रस्ताव


काठमाडौं, चैत ९ । नेपाल सरकारके असफल करयके रणनीतिबारे बिमर्श क कऽ हालेमे भारत स घुरल मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार इ सरकारविरुद्ध नाकावन्दी करय परत बतौलनि अछि ।
वृहत लोकतान्त्रिक मोर्चा निमार्णके अभियानमे जुटल राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापासँग आइ भेल बिमर्शमे गच्छदार प्रस्ताव केने बिमर्शमे सहभागी स्रोत जानकारी देलनि । नाकाबन्दी नहि करयधरि इ सरकार नहि खसत कहैत गच्छदार थापा लग कहलनि जे-’आँहाके कहलाबाद भारत मानत आ इ सरकारबिरुद्ध नाकाबन्दी प्रस्ताव करय परत ।’
एमाले-माओवादी वामपन्थी गठवन्धनप्रति भारत समेत असन्तुष्ट रहल कहैत गच्छदार सरकार खसाबय भारतके सहयोग लेबय परत बतौलनि । मुदा सरकारविरुद्ध नाकावन्दी करय भारतस आग्रह करय थापा अस्वीकार केने स्रोत जनौलक अछि ।
थापा निवास मालिगाउँमे भेल बिमर्शमे कांग्रेकक केन्द्रीय सदस्य अर्जुननरसिंह केसी आ विपिन कोइराला सेहो सहभागी छलथि ।
एम्हर, कांग्रेस वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्ष लाल झण्डा देखौलाबाद एमाले-माओवादी गठवन्धन विरुद्ध वृहत लोकतान्त्रिक मोर्चा निमार्णक लेल भ रहल पहल संकटमे परल अछि ।
वाम आ लोकतान्त्रिकके नाममे होबयबला ध्रुविकरण स देशके हित नहि करत कहैत देउवा पक्ष मोर्चा निमार्णमे असहमति जनौलाक बाद कांग्रेसके मोर्चामे सहभागी बनाबयके थापाक प्रयास बिफल भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन