बाँके, चैत १७ । हात्तिपाईले रोगबिरुद्धके दबाइ खएलास बाँकेमे दु गोटेके मृत्यु भेलाबाद छानविनक लेल विशेषज्ञटोली पठाबय जिल्ला जनस्वास्थ्य कार्यालय बाँके स्वास्थ्य मन्त्रालयसँ आग्रह केलक अछि ।
दबाइ खएने मे स अधिकाँशके स्वास्थ्य समस्या देखएमे औलाबाद आइ केन्द्रस बिशेषज्ञटोली माँग कएलगेल जनस्वास्थ्य कार्यालय बाँकेके प्रमुख धिरजंग शाह जानकारी देलनि । स्वास्थ्य मन्त्रालय अन्तरगतके ईपिडिमियोलोजी तथा रोग नियन्त्रण महाशाखा नेपालगन्जमे तत्काले बिशेषज्ञटोली पठाबय लागल अछि ।
दबाइ सेवन केने व्यक्तिसभके अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेलाबाद दबाइएके कारणस अछि या अन्य कारण स, ओइके बिशेषज्ञ टोली कारणपत्ता लगाओत चन्दक कहब अछि ।
No comments:
Post a Comment