Tuesday, March 29, 2011

क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौति


जनकपुर, चैत १५ । क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौतिके रुपमे रहल सरोकारबला व्यक्तिसभ बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय धनुषाक प्रमुख सचिदान्न्द देव क्षय रोग जनस्वास्थकेलेल एकटा समस्याके रुपमे रहल बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय,स्वास्थ अनुसन्धान तथा समाजिक विकास मंच(हर्ड) एवम जनकपुर नगरपालिकाक संयुक्त आयोजनमे आई सम्पन्न जनप्रतिनिधि तथा सरोकारबलाबीच क्षय रोग क्षय कार्यक्रमलेल निजी सचेतना गोष्टी कार्यक्रममे बजैत देव ई बात बतओलन्हि अछि।
समुदायमे रहल क्षय रोगीके पता लगाबएमे सरकारी तथा निजी स्तरके संयुक्त प्रयास पैग भूमिका निर्वाह कऽ सकैत अछि हुनकर कहब छलन्हि।
धनुषा जिलामे एखन ७० % धरि क्षय रोगिके पता लागि चुकल देव जानकारी देलन्हि अछि।
तहिना कार्यक्रमके सम्बोधित करैत हर्डक प्रतिनिधि श्याम कँडेल नियमित उपचारसँ ९० % क्षय रोगक निवारण भऽ चुकल जानकारि दैत एहिके ९८ % धरि पहुँचाबक लक्षय रहल उल्लेख कएलन्हि अछि।
नेपालक कुल जनसंख्याक ४० हजार व्यक्तिमे प्रत्येक वर्ष क्षय रोग विकास कऽ रहल कँडेल जानकरि देलन्हि अछि।
अपन संस्थाके तर्फसँ क्षय रोग निवारण कार्यक्रमकेलेल हरसंभव सहयोग करक कँडेल प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन