Saturday, April 02, 2011

शान्त ठाममे माओवादीक बैसार / पार्टी नहि फुटतः प्रवक्ता


सिन्धुपाल्चोक, चैत १९ । आन्तरिक विवाद उग्ररुप लेलाबाद शान्त ठाम तकैत सिन्धुपाल्चोकमे सुरु भेल माओवादी स्थायी समितिक आजुक  बैसार सम्पन्न भेल अछि । बैसार काल्हि सेहो जारी रहत ।
आइके बैसारमे स्थायी समितिक १६ गोटे सदस्यसभ अपन धारणा रखने प्रवक्ता दीनानाथ शर्मा जानकारी देलनि । ओ पार्टी एकबद्ध रहल बतौलनि । 'माओवादी जुट्य जनने अछि , फुट्य नहि ,' बैसारक बाद सञ्चारकर्मीसभसँग शर्मा कहलनि जे, 'माओवादी जनवादी केन्द्रीयतामे अडि कऽ अछि ।'
 स्थायी समिति बैसार सिन्धुपाल्चोकके सुकुटे स्थित एक रिर्सोटमे सुरु भेल अछि । एकान्तमे जा कऽ महत्वपूर्ण निर्णय करयके पुरान परिपाटीके निरन्तरता दैंत माओवादीके स्थायी समिति बैसार सिन्धुपाल्चोकमे सुरु भेल छल । काल्हिधरि चलयबला बैसारमे पार्टीके आन्तरिक विवाद,  नेपाली सेना प्रस्ताव केने सेना समायोजन सम्बन्धि खाका आ सरकारमे पठाबयके नामसभहक नामावली तयार करत ।
 बैसार सुरु होबयसँ आगु शान्ति मन्त्री एवं स्थायी समिति सदस्य वर्षमान पुन नेपाली सेना प्रस्तुत केने समायोजन सम्बन्धि खाका सकरात्मक भेल कहैत ओइ उपर थप बिमर्श हाएत बतौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन