एजेन्सी, चैत १९ । आइ सि सी क्रिकेट वल्रर्ड कप अन्तर्गत अखन भरहल भारत आ श्रीलँका बिचक फाइनल खेलमे श्रीलँका भारत समक्ष जितयके लेल २७५ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
मुम्बइके वानखेडे स्टेडियममे भरहल आजुक खेलमे श्रीलँका टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ करैत ६ बिकेटक क्षतिमे २७४ रन बनौलक अछि ।
श्रीलँकाके सँगाकारा ४८, दिलसान ३३, समरविरा २१ रन बनौलनि त महेला जयबर्द्धने सर्वधिक नट आउट १०३ रनक योगदान देलनि अछि । अहिना, परेरा ९ बलक मदतसँ २२ रन बनौलनि अछि ।
एम्हर, भारतक जाहिर खान आ युवराज सिँह २-२ बिकेट लेलनि ।
No comments:
Post a Comment