नेपालगँज, चैत १९ । नेकपा माओवादीक अध्यक्ष मातृका यादव जेठ १४ गते भितर कोनो हालतमे संविधान बनय नहि सकत ठोकुवा कएलनि अछि ।
आइ नेपालगँजमे पत्रकार सम्मेलन क यादव इ ठोकुवा कएलनि अछि । जेठ १४ मे संविधान बनय नहि देबय लेल विदेशी दलालसभ लागि परल हुनक आरोप छलनि । जनताके तोकले समयमे संविधान पाबयके आश सेहो मारिगेल यादव बतौलनि । यादव आब जेठ १४ बाद राज्य सत्ता जनताके हातमे लेबाक तैयारी भ रहल बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment