Tuesday, August 09, 2011

कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार सम्पन्न


२४ साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे राज्य पुनःसंरचना आ शासकीय रुवरुप बारेके अवधारणापत्र सदस्यसबके अध्ययनके लेल वितरण कएलगेल अछि ।

पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे भिन्सर करिब दु घण्टाधरि चलल बैसारमे राज्य पुनःसंरचना सम्बन्धी अवधारणापत्र बाँटलगेल केन्द्रीय सदस्य डा. नारायण खड्का जानकारी देलनि । अवधारणापत्र अध्ययन क परसु बृहस्पतिदिन बैसयबला  बैसारमे ओइबारेमे अपन धारणा प्रस्तुत करय सदस्यसबके कहलगेल अछि ।

अहिस आगु रबिदिन बैसल बैसारमे उपसभापति एवम् संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल नेतृत्वक समिति ओइ सम्बन्धी अवधारणापत्र प्रस्तुत केने छल । प्रस्तावमे राजधानीके हटले प्रदेशसहित देशके ७ प्रदेशमे बाँटय सकयके उल्लेख अछि ।

केन्द्रीय समिति पारित केलाबाद ओ अवधारणामे सहमति जुटाबय संधिवानसभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार सब दलसँग बिमर्श कएल जाएत खड्का बतौलनि । बैसार आगामी बृहस्पतिदिन फेउर बैसय जका स्थगित कएलगेल कांग्रेस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन