Sunday, August 14, 2011

एमाले केन्द्रीय समितिक बैसार आइ


९ साउन, काठमाडौँ । पार्टी अध्यक्षसमेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक अस्वस्थताके कारण लम्बा समयसँ अवरुद्ध एमाले केन्द्रीय समितिक बैसार आइ  बैसय जा रहल अछि ।

बैसार पार्टी मुख्यालय बल्खुमे भिन्सर ११ बजे बजाओलगेल अछि । राष्ट्रिय सहमतिके वातावरण बनय नहि सकलासँ देश भताभुङ हाएत कहैत खनाल राजीनामाके पाछु घुसकौलेन अछि । बैसारमे प्रधानमन्त्रीके राजीनामा, शान्तिप्रक्रिया, संविधान निर्माण, पार्टीके भावी रणनीति सहितक विषयमे बिमर्श हाएत बताओलगेल अछि ।

स्रोतक अनुसार वरिष्ठ नेता माधव नेपाल आ स्थायी समिति सदस्य केपी ओली पक्ष पार्टी स्थायी समितिके निर्णय विपरीत खनाल मन्त्रिमण्डल पुनर्गठन केने विषयके बैसारमे कडा रुपसँ  उठाओल जाएत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन