Sunday, August 14, 2011

आइ गाईजात्रा


भक्तपुर, श्रावण २९ । आठ रातिधरि मनाओल जाएबला गाइजात्रा आइसँ सुरु भऽरहल अछि ।

अन्य नाचसँ अलग नाचके रूपमे रहल घिन्ताङघिसी नाच नचैत भक्तपुरवासी आइ गाईजात्रा पर्व मनाबि रहल अछि ।

नाच देखय ललितपुर, काठमाडौ बनेपा आ साखुके सर्वसाधरण सब जाइत अछि ।

घिन्ताङघिसी लगायत अन्य नाच नचाबय दु सप्ताहसँ अभ्यास कऽक गाईजात्राके दिन निकालल जाइत अछि । घिन्ताङघिसी नाच जोडीजोडी बनि कऽ लाठी टकराकऽ नाचल जाइत अछि ।

नगरक विभिन्न ठामसँ नाच निकालल जाइत अछि । वर्षभरि दिवंगत भेल परिवारजनक यादमे गाईके या गाई नहि रहल अबस्थामे आदमिएके गाईके रूपमे सजाकऽ अपन अपन क्षेत्रमे परिक्रमा कराओल जाइत अछि ।  एक वर्षभितर देहान्त भेल परिवारजनक दिवंगत आत्मा मोक्ष प्राप्त करेय कहि प्रत्येक वर्ष श्रावण शुक्ल प्रतिपदाके दिनसँ आठ दिनधरि इ जात्रा मनाओल जाइत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन