Sunday, August 14, 2011

रामपुर कृषि क्याम्पस अनिश्चितकालक लेल बन्द


२९ साउन, चितवन । बक्यौता महशुल नहि तिरने कहैत नेपाल विद्युत प्राधिकरण बिजुलीके लाइन काटि देलाबाद चितवनके रामपुरस्थित कृषि तथा वन अध्ययन संस्थान अनिश्चितकालके लेल बन्द भेल अछि ।

विद्युत अभावमे कृषि तथा भेटेनरीके कक्षा सञ्चालन होबय नहि सकलासँ बन्द करय परल क्याम्पस प्रशासन जनौलक अछि । क्याम्पस प्रशासन बन्द भेल बारे आधिकारिक रुपमे जानकारी नहि करैबतो प्राध्यापकसब विज्ञप्ति निकालि कऽ विद्युतके वैकल्पिक व्यवस्था नहि होबयधरि क्याम्पसमे पठन-पाठन बन्द कएल गेल जनौलक अछि । ओसब क्याम्पस सुचारु करय तत्काल विजुलीके वैकल्पिक व्यवस्था करय माँग सेहो केलक अछि ।

क्याम्पसके करिब ४  करोड रुपैयाँ विद्युत महशुल बुझाबय बाँकी रहल प्राधिकरण जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन