Sunday, August 14, 2011

दहेज नहि लौअने आरोपमे हत्या करयबलाके छोडयके तयारी


२९ साउन, रौतहट । हत्या आरोपीके छोडय चाहने कहैत आक्रोशित स्थानीयबासी रौतहटके गौर आ चन्द्रनीगाहपुर जोडयबला वीरेन्द्र राजमार्ग आइ भिन्सरेसँ अनिश्चितकालके लेल बन्द करौलक अछि ।

पुलिस हिरासतमे रहल हत्याराके कारबाही नहि कऽ रिहा करय लागल खबर औलाबाद मृतकके परिवारजन आ चन्द्रनीगाहपुरके स्थानीयबासी भिन्सर ८ बजेसँ ओ राजमार्ग ठप्प केने अछि । बितल १ असारमे चन्द्रनीगहापुर-१ के किरण साहके हुनके पति गुड्डु साह, साउस, नन्दि आ मामा दहेज नहि लौअने आरोपमे चरम शारीरिक यातना द ऽ हत्या केने छल । हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे गिरफ्तार भेल चारु गोटे हाल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके हिरासतमे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन