Sunday, August 14, 2011

मधेसवादी सहित तीन दलक बैसार सुरु


२९ साउन, काठमाडौँ । पूर्वघोषणा अनुसार काल्हि पदसँ राजीनामा नहि देने प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ सहमतिके अन्तिम प्रयासस्वरुप तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार आहृवान कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीके सरकारी निवास बालुवाटारमे जारी बैसारमे प्रधानमन्त्री सेना समायोजनके मोडालिटी, संख्या, तह मिलान, पुनःस्थापना प्याकेज, पुर्नवर्गीकरण सहितक विषयमे स्पष्ट खाका प्रस्तुत काएल जाएत बताओल गेल अछि । । नेपाली कांग्रेसक नेतासब मधेसी मोर्चाके सहभागिता बिना होबयबला बिमर्शके कोनो औचित्य नहि रहल कहैत बैसार स्थलसँ बहराएलाबाद अहिसआगु काल्हि बैसल बैसार ऐजेण्डामे प्रवेश बिना केनेही स्थगित भेल छल ।

प्रधानमन्त्री काल्हि माओवादी आ कांग्रेस नेतासबसँग अपन विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा देबयके औचित्य नहि रहल कहैत तत्काल राजीनामा नहि देब बतौने छलथि ।

बैसारमे एमालेक खनाल, उपाध्यक्ष बामदेव गौतम, महासचिव ईश्वर पोखरेल, वरिष्ठ नेता माधव नेपाल आ घनश्याम भुसाल, माओवादीसँ अध्ययक्ष प्रचण्ड उपाध्यक्षत्रय मोहन वैद्य, बाबुराम भट्टराई आ नारायणकाजी श्रेष्ठ, महासचिव राम बहादुर थापा आ सचिवद्वय पोष्टबहादुर बोगटी आ सिपी गजुरेल सहभागी छथि ।

अहिना कांग्रेससँ सभापति सुशील कोइराला, वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा, उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आ महामन्त्री कृष्ण सिटौला तथा मधेसी मोर्चासँ फोरम लाकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार, फोरम गणतान्त्रिकके अध्यक्ष जेपी गुप्ता, तमलोपाक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सद्भावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो सहभागी छथि । कांग्रेस अडानक कारण मधेसी मोर्चाके बजौने प्रधानमन्त्री मोर्चा बाहर रहल उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री फोरम नेपालमे अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके सेहो सहभागी करौने छथि ।

बालुवाटार स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल आइराति धरिमे शान्तिप्रक्रिया, संविधान लेखन आ राष्ट्रिय सहमतिबारे दलसबबीच ठोस सहमति नहि हाएत त काल्हि व्यवस्थापिका संसदक बैसारमे राजीनामा देबयके तयारीमे छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन