Sunday, August 14, 2011

प्रधानमन्त्री सहमतिके अन्तिम प्रयास करताह


२९ साउन, काठमाडौँ । पूर्वघोषणा अनुसार काल्हि पदसँ राजीनामा नहि देने प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ सहमतिके अन्तिम प्रयासस्वरुप तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार आहृवान कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा मधेसी मोर्चासहित तीन दलक बैसार साढे ८ बजे बालुवाटारमे बजैबतो बैसार बैसत नहि बैसत निश्चित नहि रहल जानकारी देलनि । नेपाली कांग्रेसक नेतासब मधेसी मोर्चाके सहभागिता बिना होबयबला बिमर्शके कोनो औचित्य नहि रहल कहैत बैसार स्थलसँ बहराएलाबाद अहिसआगु काल्हि बैसल बैसार ऐजेण्डामे प्रवेश बिना केनेही स्थगित भेल छल ।

थापाक अनुसार बैसारमे प्रधानमन्त्री सेना समायोजनके माडालिटी, संख्या, तह मिलान, पुनःस्थापना प्याकेज, पुर्नवर्गीकरण सहितक विषयमे स्पष्ट खाका प्रस्तुत करयके तयारी कएने छलथि । प्रधानमन्त्री काल्हि माओवादी आ कांग्रेस नेतासबसँग अपन विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा देबयके औचित्य नहि रहल कहैत तत्काल राजीनामा नहि देब बतौने छलथि ।

बालुवाटार स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल आइराति धरिमे शान्तिप्रक्रिया, संविधान लेखन आ राष्ट्रिय सहमतिबारे दलसबबीच ठोस सहमति नहि हाएत त काल्हि व्यवस्थापिका संसदक बैसारमे राजीनामा देबयके तयारीमे छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन