Friday, September 02, 2011

अपराधीके उन्मुक्ति नहि देल जाएतः प्रधानमन्त्री


१६ भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई राजनीतिक आवरणके नाममे अपराधीके उन्मुक्ति नहि देब बतौलनि अछि ।

माओवादी केन्द्रीय कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ विभिन्न मानवअधिकारवादी नेतासबसँग भेल भेटमे प्रधानमन्त्री डा भट्टराई कहलनि जे-जनयुद्ध, मधेस आन्दोलन, थरुहट एवं पिछडावर्ग सहितक अन्य आन्दोलनके क्रममे लगाओलगेल झुट मुद्दाके मात्रे खारेज करयके कहलगेल अछि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई सत्यनिरुपण तथा मेलमिलाप आयोग तथा बेपत्ता छानबिनसम्बन्धी आयोग गठनक लेल आवश्यक परयबला विधेयकके अन्तिम रुप देल जाएत जानकारी देलनि । मानवअधिकार उल्लंघनकर्ता उपर कारवाही कएल जाएत कहैत ओ दण्डहीनता अन्त्य करय प्राथमिकता देल जाएत जानकारी देलनि ।

भेटमे मानवअधिकारवादी नेतासब मानवअधिकार उल्लंघन करयबलासबके मुद्दा फिर्ता नहि करय आ दण्डहीनताके अन्त्य करय माँग रखने अछि । भेटमे मानवअधिकारवादी पद्मरत्न तुलाधर, कपिल श्रेष्ठ, शर्मिला कार्की, गोपाल शिवाकोटी, शोभा गौतम सहितक सहभागी छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन