Friday, September 02, 2011

नियंत्रण रेखा पर गोलीबारी, तीन पाक सैनिकके मृत्यु


पाकिस्तान, भादव १६ । कश्मीरमें नियंत्रण रेखा पऽ भारतीय सेना के दिससँ चलाओल गेल गोली लागि ३ पाकिस्तानी सेनाके मृत्यु भेल पाकिस्तानी सेना दाबा कलक अछि ।

पाकिस्तानी सेना के प्रवक्ता जनरल अथर अब्बास के कहब छन्हि जे कश्मीर के केरन सेक्टर में भारतके दिससँ पहिने बिना कारण गोली चलाओल गेल अछि ।

मुदा भारतीय सेनाके प्रवक्ता जेएस बरारके कहब छन्हि जे गोलीबारीके शुरुआत पहिने पाकिस्तानी सेनाके दिससँ भेल छल आ बादमे भारतके दिससँ खाली जवाबी कार्रवाई मात्र कएल गेल अछि । जाहिमे एकटा भारतीय सेना घाहिल भेल अछि आ ओ खतरासँ बाहर अछि ।

अहिबिच गलतीस अफ़ग़ानिस्तानके सीमा पार केने ३० स बेसी  पाकिस्तानी बच्चाके चरमपंथी अपहरण केलक अछि ।
१० सँ १५ बर्षक उमेरके इ बच्चासब ईदके समयमे घूमय लेल पाकिस्तानके क़बायली इलाके बाजौड़ गेल छल ।
इ बच्चासब इदके दोसर दिन बनभोज करय गेल समय गलतीस सीमा नाँघल छल जकरबाद चरमपंथी अपहरण क लेलक अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन