Friday, September 02, 2011

सातम डिभिजनमे दोसर दिन सेहो चाबी नहि बुझाओल गेल


धनगढी, भादव १६ । कैलालीके तालवन्दस्थित माओवादी लडाकुके सातम डिभिजनके कमाण्डरसब हतियार रहल कण्टेनरके चाबी दोसर दिन आइ सेहो विशेष समितिके अनुगमन  टोलीके नहि बुझौलक अछि । 

सातम डिभिजन सचिवालयके अनुसार डिभिजन कमाण्डर सन्तु दैरे 'परवाना' अनुपस्थित भेलाक कारण दोसर दिनधरि सेहो कण्टेरनरके चाबी बुझाबय नहि सकल अछि ।

अहिबीच सातम डिभिजन कमाण्डर परवानाके अनुपस्थितिमे सहायक कमाण्डर जीवन बुढा, बटालियन कमाण्डर संघर्ष आ कम्पनी कमाण्डरसँ उपरके सव दर्जाके कमाण्डरसबहक आइ तालवन्द शिविरमे बैसार भेल छल । पुन बर्गिकरणके निर्णयके लऽ ओकरासब बीच बिमर्श भेल छल ।

नवलपरासीमे रहल माओवादी लडाकुसबहक चारिम डिभिजन हेडक्वाटरमे हतियार राखल कन्टेनरके चाबी काल्हिए अनुगमन टोलीके बुझाओल गेल अछि ।

अहिबाहेक सात मेसँ ४ लडाकु शिविरके चाबी काल्हिए राति  बुझाओल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन