Wednesday, October 26, 2011

बैंकॉकके सब इलाक़ा बाढ़ि सँ प्रभावित


९ कातिक थाईलैंड । थाईलैंडके प्रधानमंत्री यिंगलक चिनावाट राजधानी बैंकॉकके सब इलाक़ा बाढ़ि सँ प्रभावित भऽ सकबाक बतौलनि अछि।

टेलिविज़न पर देने संबोधनमें प्रधानमंत्री कहलनि जे शहरके भीतरी स्थानमे बढ़ैत जलस्तर सँ नहि बचाओल जाऽ सकैय । बाढ़िके पानिके उत्तरी उपनगरीय इलाक़ामें प्रवेशके बाद बैंकॉकके दोसर बिमानस्थलके बंद करऽ परल अछि ।

एम्हर राजधानीके बासीसबसँ अपन घरके छोड़ि कऽ सुरक्षित स्थान पर जाएके लेल तैयार रहय अपिल कएल गेल अछि ।

बाढ़िके ख़तराके देखैत सरकार बृहस्पति दिनसँ पांच दिनके सार्वजनिक छुटीके घोषणा केने अछि । ताकि लोग अपन सामान सुरक्षित स्थानधरि पहुंचा सकेंय या  बैंकॉक छोड़ि सकेंय ।

थाईलैंडमें कतेकौ दशकके बाद आएल अहि भीषण बाढ़िमे अखनधरि  ३६० सँ बेसीके मृत्यु भऽ चुकल अछि तऽ एक लाख सँ बेसी गोटे अपन अपन घर-बार छोड़ि कऽ जाए बिबश भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन