नेपालगन्ज, कार्तिक ९ । उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार अगहन १४ गतेभितरो शान्ति प्रक्रिया पुरा नहि हाएत तऽ मधेसी मोर्चा कठोर निर्णय लेत बतौलनि अछि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई केहनो बिरोध हाएत तऽ पुरा करयके प्रतिबद्धता जनौलासँ अपने विश्वस्त रहल ओ बतौलनि ।
माओवादी भितरके विवादसँ मधेसी मोर्चासंगके गठबन्धनके कोनो असर नहि परत दाबी करैत गृहमन्त्री गच्छदार कहलनि, मुदा, एकटा पार्टीके बहुमत नहि भेलासँ सरकारक स्थिरताबारे प्रश्न उठ्नाइ स्वभाविक अछि । प्रधानमन्त्रीके राजीनामा माँगयबलासबके संसदमे अविश्वास प्रस्ताव लाबय गच्छदार चुनौती देलनि अछि ।
मधेसी पत्रकार समाज आइ नेपालगन्जमे केने पत्रकार भेटमे गृहमन्त्री गच्छदार पैघ राजनीतिक दलसब ऐतिहासिक दायित्व निर्वाह कऽ क शान्ति प्रक्रियाके पुरा करय आ संविधान लिखयके कामके निष्कर्षमे पहुँचाबयके सुझाब देने छथि ।
No comments:
Post a Comment