Wednesday, October 26, 2011

तालिबान लड़ाकुके पाकिस्तानी अधिकारीसँ मिलल 'ट्रेनिंग'


९ कातिक एजेन्सी । अफ़गानिस्तानमें अमरीकी सेनाकके बिरुद्ध तालिबान लड़ाकुके पाकिस्तानक समर्थन भेट रहल बात  सामने आएल अछि ।

तालिबानके लड़ाकुसब ओकरासबके बम बनाबयके ट्रेनिंग पाकिस्तानके अधिकारीसब दऽ रहल खुलासा केलक अछि । पाकिस्तान आ अफ़गानिस्तानके सीमा पर तैनात अमरीकी सेना सेहो पाकिस्तानी सेना तालिबानके समर्थन करैत देखने बतौलक अछि ।

एक पूर्व सीआईए अधिकारीके कहब अछि जे अमरीकी ड्रोन विमान हमलाके बिषयमे पाकिस्तानके जानकारी देबय बँद केलाबाद इ हमला सब सफल भेल अछि । एकर मतलब जे पहिने इ हमलाक बिषयमे पाकिस्तानी अधिकारी तालिबानीके सुचना दैत छल ।

हालांकि पाकिस्तान आ पाकिस्तानके अधिकारी हमेशासँ अहि बातके खंडन करैत आबि रहल अछि जे तालेबानसँ ओकर कोनो  किसिमक संपर्क या संबंध नहि अछि ।

अहि बिषय पर अमरीका आ पाकिस्तानके रिश्तामे सेहो खटास आबिगेल अछि आ दुनु देश एक दोसरके बारेमें कड़ा बयान सेहो  जारी कएने अछि ।

बितल किछ दिन पहिने अमरीकाक विदेश मंत्री हिलेरी क्लिंटन अपन पाकिस्तान यात्राके समय कहने रहथि जे पाकिस्तान इ नहि सोचौक जे ओ अपने घरमे सांप पोसैत रहताह आ ओ पाकिस्तानके नहि काटत ।

अहिके बाद बितल हफ्ता पाकिस्तान कहने छल जे ओ अपन ज़मीन सँ सक्रिय चरमपंथी समुहके रोकय लेल किछ आऔर क़दम उठा सकैत अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन