Sunday, October 16, 2011

मन्त्रीक राजीनामा मँगैत विपक्षीद्धारा संसदक बैसार अवरुद्ध


२९ आसिन, काठमाडौं । बिवादास्पद रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके राजीनामा माँग करैत विपक्षी नेपाली कांग्रेस आ एमाले आइ सेहो व्यवस्थापिका संसदक बैसार अवरुद्ध केलक अछि ।

बैसारक सुरुमे समय लऽ क एमाले सभासद भीम रावल दु गोट विवादास्पद मन्त्रीसब उपर कारवाही करय आ अपनेसब उठौने विषयमे जवाफ देबय प्रधानमन्त्रीसँग माँग कएलनि ।

ओ इस्लामीक संघक महासचिवके कारबाही नहि करयके कहाँ सँ दबाव आएल प्रधानमन्त्रीके सदनके जानकारी कराबय परत माँग कएलनि । सरकार शान्ति प्रक्रियामे एकलौटी रुपमे निर्णय केने कहैत आपति जनौलनि । ओ कहलनि-लडाकूके भत्ता बढाबयके काज मात्र भेल । शान्ति प्रक्रिया सहमतिमे करयके कहब आ एकलौटी रुपमे मनमानी ढँगसँ निर्णय करब इ कतेक उचित अछि ?’ ओ रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके कारवाही कऽ अपनासब उठौने माँगमे प्रधानमन्त्रीके जवाफ नहि देबयधरि सदन चलय नहि देब बतौलनि ।

कांग्रेस आ एमाले सभासदसब अपन अपन ठाममे ठार भऽ क विरोध जनौलाबाद सदनके नियमित कामकारवाही होबय नहि सकलासँ सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङ बैसार ३० गतेधरिके लेल स्थगित कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन