Sunday, October 16, 2011

कंकाल भेटल, हत्याक श्रृखला बढल


जलेश्वर, आसिन २९ । महोत्तरीके हात्तिलेटमे आइ एकटा मानव कंकाल भेटल अछि ।

हात्तिलेट गाउँ विकास समितिके वाडनं. ५ के कुशियार खेतमे ओ मानव कंकाल भेटल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी उपरिक्षक विनोद शर्मा घिमिरे जानकारी देलनि ।

कंकाल लग एकटा धोती सेहो भेटलासँ ओ शव पुरुषके होबय सकयके पुलिस अनुमान केलक अछि । ओ कंकाल मात्रे रहलासँ पहिचान करय दिक्कत भेल प्रहरी उपरिक्षक शर्मा बतौलनि ।

प्रारम्भिक अनुसन्धानक बाद ओ शवके सनाखतके लेल डिएनए परिक्षण कराबयके आवश्यकता रहल घिमिरेके कहब छल । कहि कतौक मारि कऽ फेकने होबय सकयके ओ शव बेसी दिन भेलासँ कंकालमे परिणत भेल  बतबैत प्रहरी उपरिक्षक शर्मा अखनधरि केउ हेराएल सुचना या निवेदन जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे नहि देने सेहो बतौलनि ।

महोत्तरीमे किछ समय एम्हरसँ हत्याके श्रृखला तथा हत्या कएलगेल शव भेटयके श्रृखँलामे वृद्धि भेल अछि ।

काल्हि साँझ मात्रे महदैया तपनपुरमे एक महिलाके एसिडसँ जराओल गेल अवस्थामे एक लाबारिश शव भेटल छल । ओ महिलाके सनाखत होबय नहि सकल अछि तऽ ३ दिन आगु मात्रै गर्दन काटल अबस्थामे परिकौली स्थित आगे पुलके निचा फेकल भारतक बेनिपट्टी स्थित दुर्गास्थानके प्रदीप साहके शवके काल्हि  पहिचान भेल अछि ।

ओइसँ २  दिन आगु इटहर्वाकटटीके जिवछी देवी मण्डलके अज्ञात समुह घरगर हतियार प्रयोग कऽ हत्या केने छल तऽ काल्हि बनौटामे एकटा नवजात शिशुके हत्या कएल गेल शव भेटल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन