Sunday, October 16, 2011

बीपी राजमार्गके सडकमे सवारी आवागमनमे रोक


सिन्धुली, आश्विन २९ । बीपी राजमार्गके खुर्कोट- नेपालथोक तेसर खण्डके ट्रयाक सडकमे  आइ सँ सवारी साधन चलाबय रोक लगाओल गेल अछि । बढैत दुर्घटनाके कम करय लेल भेल सर्वपक्षीय बैसारसँ स्थानीय प्रशासन सवारी आवागमन बन्द केने अछि ।

बीपी राजमार्ग प्रयोग कऽ राजधानीदिस जाए लागल निजी तथा सरकारी सवारी साधनसबके आवागमन बन्दके सूचना दऽ  पुलिस सिन्धुलीसँ घुरा रहल अछि ।

खुर्कोट-नेपालथोक ट्रयाक सडकके स्तरिय आ चौडा नहि बनाबयधरिके लेल बस, छोट गाडी तथा अन्य भाडाके सवारी साधन संचालनमे रोक लगाओलगेल  प्रमुख जिल्ला अधिकारी बेणीमाधब ज्ञवाली जानकारी देलनि ।

बेसी दुर्घटना होबयबला स्थान पुरानो झाँगाझोलीके रिठ्ठेसँ ट्रयाक सडक चौडा बनाबयके काज शुरु कएल जाएत जनाओल गेल अछि ।

बर्दिवास, सिन्धुली, बनेपा सडकके कुल १६० किलामीटर लम्बाइ मे सँ १२३ किमीके निर्माण सम्पन्न भऽ जापानीज कम्पनी नेपाल सरकारके हस्तातरण कऽ चुकल अछि । तेसर खण्डके निर्माणाधिन ३७ किलोमिटर मे सँ १४ किमी सडक याह वर्षक चैतधरिमे निर्माण पूरा करयके लक्ष्य राखलगेल अछि ।

सिन्धुलीमाढीसँ खुर्कोट आ धुलीखेलसँ नेपालथोकधरि यातायात सुचारु अछि ।    बीपी राजमार्गके तेसर खण्ड अन्र्तर्गतके ट्रयाक सडकमे आसिन २६ गते भेल बस दुर्घटनामे ४१ आ बैशाख २० गते भेल दुर्घटनामे १२ कऽ ५३ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन