Saturday, October 08, 2011

पार्टीभितरके विवादके असर शान्ति आ संविधानमे परय नहि देबः प्रचण्ड


२१ आसिन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड पार्टी भितरके विवादके असर शान्ति आ संविधान निर्माण पऽ  नहि परत बतौलनि अछि ।

सभामुख सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग आइ अपने निवासमे भेल भेटमे प्रचण्ड पार्टी भितरके आन्तरिक विवादसँ शान्ति आ संविधान निर्माणमे कोनो असर परय नहि देब बतौलनि । भेटमे नेम्वाङ दशैंके सँगै नेपाली जनता शान्ति आ संविधान खोजिरहलासँ तत्काल सम्वाद करय आग्रह कएने छलथि । दलसब दशैंआगुए सहमति हाएत कहितो नहि भेल स्मरण करबैत नेम्वाङ दशैंके बादे शान्ति प्रक्रियामे ब्रेक थ्रु करयके प्रतिवद्धता कार्यान्वयन करय आग्रह कएने छलथि ।
जवाफमे प्रचण्ड शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबय अपने गम्भीर रहल कहैत तत्काल दलसबसँग बिमर्श करब बतौलनि अछि । सभामुख नेम्वाङ आइए बेरियामे प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराईसँग भेट कऽ शान्ति आ संविधान निमार्णबारे बिमर्श कऽ रहल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन