Saturday, October 08, 2011

कांग्रेसके बिनासर्त सरकारमे सहभागी होबय परत: सुजाता


काठमाडौ, आश्विन २१ । कांग्रेस नेतृ सुजाता कोइराला शान्ति प्रक्रियाके बाधकके पाठ सिखाबय कांग्रेसके बिनासर्त वर्तमान सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह अछि ।

 रिपोर्टर्स क्लव नेपाल आइ राजधानीमे केने साक्षत्कारमे नेतृ कोइराला बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकारके मजबुत बनाबऽ सरकारमे सहभागी होबय परत बतौलिह । ओ कहलिह जे, ‘माओवादी भितरके शान्ति बिरोधी मोहन बैद्य समूहके सेहो ठेकान लगाबय कांग्रेसके सरकारमे सहभागी होबय परत, माओवादी, कांग्रेस आ एमालेमे शान्ति बिरोधी तत्व अछि, ओकरासबके तह लगाबय सेहो बाबुराम भट्टराई सरकारक स्थायीत्व आवश्यक छैक ।

 कांग्रेस याह समय सरकारमे सहभागी भेल तऽ देशमे स्थायी शान्ति आओत’,कांग्रेस नेतृ कोइराला कहलिह, ‘दलिय आ व्यक्तिगत स्वार्थ त्यागि कऽ बाबुराम नेतृत्वक सरकारमे जाए परत, एमालेके सेहो आबय परत ।

 कांग्रेस सभापति गिरिजाप्रसाद कोइरला शान्तिके लेल वार्ता करय नर्कमे सेहो जाए तयार छी कहैत आएल स्मरण करबैत ओ कहलिह, ‘देशमे स्थायी शान्ति आओत त कांग्रेस माओवादी नेतृत्वक सरकारमे कैला नहि जाएत ?, सरकारमे जाएसँ  डेराए नहि चाही ।

ओ कांग्रेस अखनो सरकारमे सहभागीता जनाओत तऽ शान्ति बिरोधीतत्व सहयोग करय बाध्य हाएत दावी कएलिह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन