Saturday, October 22, 2011

बिपा सम्झौता राष्ट्रघातीः खनाल


५ कात्तिक, काठमाडौँ । नेकपा एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल नेपाल आ भारतबीच काल्ह भेल द्धिपक्षीय लगानी संरक्षणसम्बन्धी (बिपा) सम्झौता राष्ट्रघाती रहल आरोप लगौलनि अछि ।

काठमाडौँके नयाँ न्हैकापमे दियाबाती, छठि आ इदके अवसरमे आइ भिन्सर आयोजित चायपान कार्यक्रममे सहभागी भेल अध्यक्ष खनाल राष्ट्रियताके कडा बात करयबला प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके राष्ट्रियता नयाँ दिल्लीमे जाऽ क निकलल टिप्पणी कएलनि । सम्झौतासँ नेपालमे भारतीय लगानी करयके कहबके खनाल खण्डन कएलनि । ‘इ सम्झौता राष्ट्रघाती सम्झौता अछि’, खनाल कहलनि, ‘अहिसँ नेपालमे भारतीय लगानी बढत से हमरा नहि लगैत अछि ।’

नेपालमे लगानी बढाबयसँ बेसी भारतके मनाबयके उद्येयस्यसँ प्रधानमन्त्री बिपा सम्झौता केने खनालक आरोप छलनि । ४ दिना औपचारिक भ्रमणके सिलसिलामे नयाँदिल्लीमे रहल प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आ हुनक भारतीय समकक्षी मनमोहन सिंहक उपस्थितिमे बिपा सम्झौतामे काल्हि दु देशक अधिकारी हस्ताक्षर केने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन