Tuesday, November 01, 2011

ललितपुर सँ तीन दर्जन दलाई समर्थक पक्राउ


१५ कात्तिक, काठमाडौँ । ललितपुरक जावलाखेलमे आइ भिन्सर प्रदर्शनके तयारी कऽ रहल समय ३ दर्जन दलाइ समर्थकके गिरफ्तार कएल गेल महानगरीय प्रहरी परिसर ललितपुरके नायव उपरीक्षक पूजा सिंह जानकारी देलिह अछि ।

गिरफ्तार कएलगेल समर्थकसबके ललितपुर परिसरमे राखलगेल अछि । तिव्वती प्रदर्शनकारी आ समर्थकसबके रोकय चाहिरहल पुलिसबीच भिन्सरेसँ बेर बेर सामान्य झडप सेमत भेल छल । प्रदर्शन नहि करय आग्रह करितो जवर्जस्ती केलासँ अन्त्यमे सामान्य बल प्रयोग कऽ क गिरफ्तार कएलगेल सिंह जानकारी देलिह । नेपाल अपन भूमि चीन विरुद्ध प्रयोग होबय नहि देबयके प्रतिबद्धता जनबैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन