Tuesday, November 01, 2011

सर्लाही आ नवलपरासीमे अगिलगि लाखौके क्षति


१५ कातिक सर्लाही । सर्लाहीके मलँगवामे बितलराति एकटा किराना दोकानमे लागल अगिलगिसँ अढाइ लाख बराबरके क्षति पहुँचल अछि ।

कोल्ड स्टोर चौकमे रहल दोकानमे बितलराति करिब १२ बजेदिस अज्ञात समुह लगौने आगिमे परि १० हजार नगद १५ हजारक रिचार्ज कार्ड, फ्रिज आ दोकानमे रहल सम्पुर्ण किरानाके सामानसब जरि कऽ नष्ट भेल पुलिस जनौलक अछि । काठके कटघेरा बला ओ दोकानमे अज्ञात समुह आगि लगौने पिडित पिन्टु साह जानकारी देलनि ।

अहिना कपिलबस्तु ४ के जितपुरमे रहल पौडेल इलेक्ट्रोनिक्समे बितलराति भेल अगिलगिमे करिब ३० लाख बराबरके क्षति पहुँचल अछि । अगिलगिसँ दोकानमे रहल बिद्युतिय समानसब जरि कऽ नष्ट भेल अछि । आगि केना कऽ लागल बिषयमे अनुसन्धान भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन