Tuesday, November 01, 2011

दुर्घटनामे एकके मृत्यु


१५ कात्तिक, नवलपरासी । नवलपरासीके रामग्राम नगरपालिकामे बितलराति भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । अन्य १५ गोटे घाइल भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे जिल्लाके रामग्राम-५ के ४० वर्षक इस्रावती तेली रहल पुलिस जनौलक अछि । महेशपुरसँ परासीदिस जाऽ रहल स १ ज ४८ नम्बरक जिप आ विपरीत दिशसँ आबि रहल लु १ त ७४९७ नम्बरक ट्रयाक्टर आपसमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेल बताओलगेल अछि । दुर्घटनामे गम्भीर घाइल भेल पाँच गोटेके भैरहवा मेडिकल कलेज आ अन्यके परासीस्थित पृथ्वी चन्द्र अस्पतालमे इलाज भऽ रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासी जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन