Tuesday, November 01, 2011

अन्ना देलनि फेर अनशनके धमकी


१५ कातिक भारत । अन्ना हज़ार प्रधानमंत्री मनमोहन सिंहके पत्र लिख कऽ जँ शीतकालीन सत्रमें जनलोकपाल बिल पास नहि भेल तऽ ओ फेउरसँ अनशन पऽ बैसयके चेतावनी देलनि अछि ।

समाजसेवी अन्ना हज़ारे फेउरसँ अनशन पर जाएके बात कहि रहल छथि मुदा ओ अखनो मौन व्रत पर छथि । अन्ना कहलनि जे जँ जनलोकपाल बिल संसदके शीतकालीन सत्रमें पास नहि भेल तऽ ओ फेउरसँ अनशन पर बैसताह । अन्ना इ बात प्रधानमंत्री सहित कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी आ कानून मंत्री सलमान खुर्शीदके सेहो पत्र मार्फत जानकारी करौलनि अछि ।

संसदके शीतकालीन सत्र 22 नवंबर सँ शुरू भऽ रहल अछि आ अन्ना चाहैत छथि जे शीतकालीन सत्रमें जनलोकपाल बिल पास भइए जाए ।

अन्ना अपन मौन व्रत तीन-चारि दिनमें तोडय लागल छथि आ ओकर बाद ओ विभिन्न राज्यके भ्रमण पर निकलताह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन