Wednesday, November 30, 2011

फरार रहल एक गोटे गिरफ्तार


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १४ । लम्बा समयसँ ज्यान मारयके मुद्दामे फरार रहल  एक गोटेके महोत्तरी पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे महोत्तरी सहसौला३ के फेकन मण्डल खत्वेके २३ बर्षक बेटा विजय मण्डल खत्वे रहल अछि । ओकर सँगसँ पुलिस दु राउण्ड गोली सेहो बरामद केने जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी नायव उपरिक्षक केदार खनाल जानकारी देलनि । ओकरा रामगोपालपुर७ दोलाढीसँ गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

याह साउन ७ गते वायह गाविस रहनियार विजय मण्डलके गोली प्रहार कऽ घाइल बना कऽ ओ  फरार भऽ गेल छल । फरार रहल मण्डलके खोजतलाशके क्रममे पौअने सुचनाक आधारमे गिरफ्तार कएल गेल अछि । ओ समयमे गोली प्रहारक जिम्मा जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा राजनमुक्ति समुह लेने छल । ओ सेहो वायह समुहमे संलग्न रहल होबय सकबाक कहैत थप पुछताछ भऽ रहल जनाओलगेल अछि ।

अहिबीच महोत्तरीक बर्दिवासमे पशु प्रचार करयके उद्देश्यसँ पाँच दिना पशु बजार मेला शुरु भेल अछि । मेलामे महोत्तरी सहित आसपासक जिल्ला तथा भारतीय बाजारसबसँ समेत व्यापारीसबहक उल्लेख्य उपस्थित रहल बजार सञ्चालक समितिक अध्यक्ष कृष्ण देवकोटा जानकारी देलनि । पशु बजार मेलामे गाई, बरद, पाडा, महिस, खसी बकरी बिक्रिके लेल राखल अछि । मेलामे करोडौंके कारोवार होयबाक  अपेक्षा समिति केने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन