Wednesday, November 30, 2011

बढाओलगेल समयमे संविधान बनाबयके विकल्प नहि अछिः नेम्वाङ


१४ अगहन काठमाण्डौ । संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ बढाओलगेल ६ महिनामे संविधान बनयके आधार तयार भेल बतौलनि अछि ।

संविधान निर्माणक लेल ६ महिना पर्याप्त भेलासँ जेठ १४ बादक अवस्थाके लऽ विवाद करयके कारण नहि रहल हुनक कहब छलनि । सभाध्यक्ष नेम्वाङ शान्ति प्रक्रियाके काम ठीक ढंगसँ आगु बढिरहलासँ संविधान बनयके निश्चित रहल बतौलनि ।

राज्यपुनर्संरचना आयोग प्रतिवेदन तयार करैत कालधरि संविधानक बाँकी विबादित विषयमे सहमति जुटाओल जाएत ओ बतौलनि । काल्हि भिन्सर बैसयबला संवैधानिक विबाद समाधान उपसमितिक बैसारसँ संविधान निर्माणक नयाँ कार्यतालिका बनाओल जाएत ओ जानकारी देलनि । शान्ति प्रक्रियाके कारण विगतमे संविधान निर्माण कार्यक्रममे अबरोध सृजना भेलाबाद आगामी दिनमे ओहन अवस्था नहि आओत विश्वास ब्यक्त कएलनि । संविधान निर्माणक लेल राज्यपुर्नसंरचनाके विषय चुनौतिपूर्ण होइतो आयोग सबके स्वीकार्य होबय जेहन प्रतिवेदन तयार करत ठोकुवा कएलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन