Friday, November 04, 2011

संविधानक विवाद सुल्झाबय दु टा कार्यदल बनाबयके निर्णय


१८ कात्तिक, काठमाडौँ । भावी संविधानक विवादित विषयमे सहमति जुटाबयके जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक उपसमिति विवादित विषयके निश्कर्ष लगाबय दु अलग अलग कार्यदल बनाबयके निर्णय केलक अछि ।

सिंदहरबारस्थित संवैधानिक समितिक कार्यालयमे आइ भिन्सर बैसल बैसारसँ राज्य पुनसँरचनासम्बन्धी विवादके कात करय व्यवस्थापिका संसदसँ विशेषज्ञ सम्मिलत समूह बनाबयके निर्णय केलक अछि । अहिना शासकीय स्वरुप आ निर्वाचन प्रणालीके बारेमे अध्ययन करय ५ सदस्यीय तुलनात्मक अध्ययन कार्यदल गठन करयके निर्णय समेत कएलगेल बैसारकबाद नेतासब जानकारी देलनि अछि । बैसारमे शासकीय स्वरुप आ विर्वाचन प्रणालीके विषयमे रहल विवाद समाधानक लेल प्रतिवेदन तयार करय गठन कएलगेल कार्यदल तयार केने सुझाव समेत पेश भेल उपसमिति सदस्य कल्पना राणा जानकारी देलनि । बैसारमे उपसमिति सदस्यसब बीच लम्बा समयसँ अबरुद्ध संवैधानिक समितिक बैसार काल्हि शनिदिन भिन्सर १० बजेके लेल बजाबयके सहमति समेत भेल अछि ।

संविधानसभाक तेसरबेर थपलगेल कार्यकाल समाप्त होबय २६ दिन मात्रे बाँकी रहितो दलसबबीच राज्य पुर्नसंरचनाके २५ आ शासकीय स्वरुप तथा निर्वाचन प्रणालीके विषयमे २२ कऽ कूल ४७ विषयमे अखनो विवाद अछि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक संयोजकत्वके उपसमिति अहिसँ आगु संविधान निर्माणक क्रममे देखलगेल करिब २ सय  विवादित विषयमे सहमति जुटा चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन