Friday, November 04, 2011

फैजान हत्या प्रकरणः मुस्लिम समुदायद्वारा आन्दोलनके घोषणा


काठमाडौ, कार्तिक १८ । इस्लामिक संघक महासचिव फैजान अहमदके हत्याके बेसी समय बितलाक बादो हत्याराके गिरफ्तार करय नहि सकल आ सरकार केने सम्झौताके सेहो कार्यान्वयन नहि केने कहैत मुस्लिम समुदाय आन्दोलनमे उतरय लागल अछि ।

फैजानके हत्याक बाद गठित संघर्ष समिति विभिन्न ६ सुत्रीय माँग रखैत कात्तिक २६ गतेधरि माँग पूरा नहि हाएत तऽ आन्दोलनके कार्यक्रम तय केने अछि । कार्यक्रम अनुसार कात्तिक २७ गतसँ अगहन ९ गतेधरि विभिन्न शहरमे खबरदारी सभा आ अगहन ११ सँ सम्पूर्ण तराई तथा पहाडके किछ जिल्लामे अनिश्चितकालिन चक्काजामक घोषणा कएलगेल अछि ।

संघर्ष समिति फैजानके हत्याराके पकडि कऽ कानूनी कारवाही करयके, फैजानके शहिद घोषणा आ फैजानके हत्यासंगै सरकार केने सहमतिके पूर्ण कार्यान्वयन करयके माँग रखने अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन