Friday, November 04, 2011

प्रधानमन्त्री आ सभामुखबीच भेटवार्ता


१८ कात्तिक, काठमाडौँ । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई आ संविधानसभा अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङबीच आइ भिन्सर भेटवार्ता भेल अछि ।

संवैधानिक उपसमितिक बैसारकबाद भट्टराई आ नेम्वाङबीच सिंहदरबारमे भेटघाट भेल अछि । भेटमे संविधान निर्माणक कामके तीव्रता देबयके विषयमे बिमर्श भेल बताओल गेल अछि । ओ अवसरमे प्रधानमन्त्री आ सभामुखबीच संविधानसभाक बैसारसब जल्दिसँ जल्दि बजाबयके विषयमे बिमर्श भेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । भेटमे आगामी १४ अगहनमे सम्पन्न भऽ रहल संविधानसभाक कार्यकाल चारिम बेर थप करय लेल संविधान संशोधनके प्रक्रिया शुरु करयके विषयमे समेत बिमर्श भेल स्रोत जनौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन