Friday, November 04, 2011

नेपालके आर्थिक सहयोग रोकयके अमेरिकाके चेतावनी तिब्बतीके 'एक्जिट भिषा' देबयके सर्त


१८ कात्तिक, काठमाण्डौ । अमेरिका तिब्बती शरणार्थीके नेपालक रास्ता होइत तेसर देश जाए नहि देत तऽ नेपालके दैत आएल सहयोग रोकयके चेतावनी देलक अछि ।

चीनसँ भागि कऽ नेपाल आएल तिब्बती शरणार्थीके अमेरिका सहितक तेसर देश जाए एक्जिट भिषाउपलब्ध नहि कराओत तऽ नेपालके दैत आएल लाखौँ डलरके सहयोग रोकयके चेतावनी अमेरिका देलक अछि । अमेरिकी कंग्रेसक वैदेशिक सहायता सम्बन्धि समितिमे तिब्बत मामिला सम्बन्धि बिमर्शक क्रममे तिब्बती शरणार्थी उपर नेपाल करैत आएल व्यवहार नहि सुधारत तऽ सहयोग कटौती मात्रे नहि भऽ पूरे रोकयके आबाज उठल अछि ।

समितिमे नेपाल तिब्बती शरणार्थी उपर करयबला व्यवहारमे सुधारयके लेल जोड देल गेल अछि । समितिमे बजैत रिपब्लिकन पार्टीक सांसद झान्क ओल्फ तिब्बती शरणार्थीके विषयमे अपनासबहक आग्रहके नेपाल नहि मानत तऽ आर्थिक सहयोग नहि करब बतौलनि । अहि विषयमे नेपालक व्यवहारमे सुधार नहि आओत तऽ अगिला वर्ष संसदमे नेपालके देबयबला सहयोगमे कटौतीके प्रस्ताव लऽ जाएब हुनक कहब छलनि ।

पछिला दिनमे नक्कली नागरिकता आ पासपोर्ट प्रयोग कऽ तिब्बती शरणार्थीके अमेरिका लऽ जाए दूतावासे सक्रिय भेलाबाद नेपाल ओइप्रति आपत्ति जनबैत आएल अछि । नक्कली पासपोर्टमे भिषा उपलब्ध करा कऽ कुटनीतिक चिठ्ठीसमेत थमौने एक तिब्बती किछ महिनाबाद त्रिभुवन बिमानस्थलसँ गिरफ्तार भेलाबाद अमेरिका नेपाल सरकारसँग रुष्ट होइत आएल अछि ।

भुटानी शरणार्थीके तेसर देशमे पुर्नवास करा रहल अमेरिका तिब्बती शरणार्थीके सेहो ओहिना कऽ लऽ जाए पाबयके माँग नेपाल सरकारसँग करैत एलाक बादो नेपाल ओइके अस्वीकार करैत आएल अछि । नेपाल एक चीन नीति अबलम्बन केने कारण नेपालमे होबयबला तिब्बती शरणार्थीके अबैध गतिबिधि उपर निगरानी करैत आएल अछि । मुदा अमेरिका आ युरोपेली देशसब शरणार्थीके आर्थिक सहयोग उपलब्ध करबैत नेपालसँग सहयोग नहि देबयधरिके धम्की दैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन