काठमाडौ, अगहन १५ । नेपाली कांग्रेस पूर्व सहमति अनुसार ६ हजार ५ सयसँ बेसी लडाकुके समयोजन करय नहि मिलत स्पष्ट केलक अछि । कांग्रेस पदधिकारीसबहक आइ बैसल बैसारसँ लडाकु समायोजन संख्या बढाबय नहि सकयके निष्कर्ष निकाल्ने अछि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल काल्हि शिविर भ्रमणके क्रममे समायोजन संख्या ९ हजार पहुँचाबय सकयके अभिव्यक्ति देने प्रति कांग्रेस आपत्ति जनौलक अछि । दाहालक ओहन अभिव्यक्तिसँ शंका पैदा भेल बैसारक निष्कर्ष अछि । बैसारक बाद नेता अर्जुन नरसिंह केसी कहलनि जे–‘कात्तिक १५ गतेके सहमति अनुसार सुरक्षा निकायके मापदण्ड अनुसार लडाकुके समायोजन होबय परत विषयमे कांग्रेस दृढ अछि ।’
अहिना, कांग्रेस संविधानसभाक म्यादके विषयमे सर्वोच्च अदालत केने फैसलाके सकारात्मक कहने अछि । सर्वोच्चके फैसलाक बिरोध केनाइ औचित्य नहि रहल कहैत बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माणमे अग्रसर होबय दलसबसँ कांग्रेस आग्रह केलक अछि ।
राज्यपुनर्संरचना आयोग संग समन्वय कऽ क काम करय नरहरि आचार्यक नेतत्वमे समिति सेहो गठन कएलगेल अछि ।
प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसंग आइ भिन्सर भेल भेटमे सेहो कांग्रेस सभपति सुशील कोइराला समायोजनके संख्या बढाबय नहि मिलत बतौने छलथि ।
No comments:
Post a Comment