१५ अगहन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष भारतीय माओवादीक नेता मोलाजुल्ला कोटेश्वर राव (किशनजी) के हत्याक विरोध केलक अछि ।
माओवादी लेटरप्याड प्रयोग कऽ वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल आइ जारी केने विज्ञप्तीमे किशनजीके भारतीय सुरक्षा बल गिरफ्तार कऽ हत्या केने कहैत विरोध कएलगेल अछि ।
आत्मसमर्पण करय अस्वीकार केलाबाद कथित मुठभेडके नाममे हत्या कएलगेल कहैत विज्ञप्तीमे एहन मुठभेडके नाममे कएलगेल हत्याके घोर भत्र्सना कएलगेल अछि ।’
बैद्य पक्ष स्वतन्त्र छानबिन आयोग गठन कऽ अपराधीके कारवाही करय भारतक केन्द्र आ पश्चिम बंगाल सरकारसंग माँग केने अछि । किशनजीके निधनसँ पुरा भारतके कम्युनिष्ट आन्दोलनके पैघ क्षति भेल कहैत विज्ञप्तीमे भारतीय कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी प्रति ऐक्यबद्धता जनाओलगेल अछि ।
No comments:
Post a Comment