Tuesday, December 06, 2011

रेल्वे सेवा आइ सँ दैनिक २ बेर


२० अगहन जनकपुरधाम । अनिश्चतकालिन बन्द रहल नेपालक एक मात्र रेल्वे सेवा आइ सँ दैनिक २ बेर सँचालनमे आएल अछि ।

आइ भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रालय,  रेल बिभागक पदाधिकारी आ प्रमुख जिल्ला अधिकारीक पहलमे भेल वार्तामे कर्मचारीके माँग प्रति भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रालय सँबेदनशिल रहल आ मागँ पुरा करयके पहल भऽ रहल बात मौखिक रुपसँ जनौलाक बाद रेल सेवा सँचालनके लेल निर्देशन अएलासँ आइसँ रेल सेवा सँचालनमे लाओल गेल सँयुक्त रेल्वे कर्मचारी युनियन बिज्ञप्ति मार्फत जनौलक अछि ।

अहिसँ आगु बितल अगहन १५ गते रेल्वेके कर्मचारीसब उपर रेल्वेके महाप्रबन्धक सुरेश प्रसाद यादव भाडाके गुण्डा लगा कऽ गारि बेइज्जत करयके सँगहि पिटपाट करवौने मधेशी श्रमिक फोरम नेपाल रेल्वे इकाइ समिति जनकपुर आरोप लगबैत रेल्वेके सेवा अनिश्चितकालके लेल बन्द करवौने छल ।

सँयुक्त रेल्वे कर्मचारी युनियनद्धारा आइ जारी बिज्ञप्तिमे १५ गते साँझमे बिना कोनो जानकारी देने रेल्वे महाप्रबन्धक यादव बाहरके दश बारह गोटेके आनि कार्यालयके ताला तोरने आ रेल्वेके दर्ता चलानी किताब लऽ गेल कहैत अगहन १६ गतेसँ महाप्रबन्धकके पदमुक्ति सहितक ४ सुत्रिय माँग रखैत अनिश्चितकालिन रेल्वे सेवा ठप्प कएलगेल जनाओलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन