Tuesday, December 06, 2011

पुलिस आ बिद्यार्थीबिच झडप , ६ राउण्ड अश्रु ग्याँस प्रहार


२० अगहन जनकपुरधाम । जनकपुरक मुजेलिया स्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके आगु आइ बेरियामे बसक ठक्करसँ एक बिद्यार्थीके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे जनकपुर वाड नम्बर ४ पिडरिया माइ स्थानके अन्दाजी २२ बर्षक सर्वेश लाभ कर्ण रहल पुलिस जनौलक अछि ।

ज २ प २३८५ नम्बरक मोटरसाइकल पर ३ गोटे सवार जनकपुर मेडिकल कलेजक बिद्यार्थीके ट्राफिक पुलिस रोकलाबाद पाछुसँ  काकडभिटटासँ जनकपुरदिस आबिरहल ना २ ख ३४०७ नम्बरक बस ठक्कर देलाबाद कर्णके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि तऽ मोटरसाइकल पर सवार आरो २ गोटे घाइल भेल अछि । घाइल होबयबलामे महोतरी बजराहीके प्रबिण कुमार झा आ जनकपुर ७ के जितेन्द्र सिँह रहल अछि ।

घाइल प्रबिणके इलाज जनकपुर अँचल अस्पतालमे भऽ रहल अछि तऽ सिँहके इलाज जनकपुरमे सँभव नहि भेलासँ बाहर पठाओलगेल अछि । इ तिनु गोटे जनकपुर मेडिकल कलेजक MBBS के तेसर बर्षमे अध्ययनरत बिद्यार्थी रहल बताओलगेल अछि ।

घटनाक बाद आक्रोशित बिद्यार्थी आ स्थानियबासीसब ठक्कर देबयबला बस आ एकटा आओर दोसर ज १ ख ६०५ नम्बरक राम गोपालपुर रुटमे चलयबला पँचमुखी भिडियो कोच बसमे आगि लगादेलक अछि । अगिलगिसँ ठक्कर देबयबला बसमे पुर्णरुपसँ क्षति पहुँचल अछि । आगिके जनकपुर नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल ।

अहिबिच आगजनि आ तोडफोड होबय लगलाबाद नियन्त्रण करय धनुषासँ गेल करिब ३०० के सँख्यामे सशस्त्र पुलिसक टोली आ बिद्यार्थी तथा स्थानियबिच किछकाल झडप सेहो भेल छल । झडपके नियन्त्रण करय पुलिस लाठी चार्ज करयके सँगही ६ राउण्ड अश्रु ग्याँस सेहो प्रहार केने छल । झडपके क्रममे सुनिल दास सहित आधा दर्जन बिद्यार्थी सामान्य घाइल भेल आ ओकरसबहक इलाज जनकपुर अँचल अस्पतालमे भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

एम्हर मृतकके शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन