Tuesday, December 06, 2011

राजधानीमे फेउर दोसर हत्या


काठमाडौ, अगहन २० । ललितपुरमे सोन दोकानक एक गोट कर्मचारीके हत्या भेल घट्ना सेराए नहि पबैत  काठमाडौंके पेप्सीकोलामे फेउर एक युवाके हत्या भेल अछि  ।

पेप्सीकोला–३५ निवासी २७ वर्षक गोविन्द ढुंगानाके घेँट रेत कऽ  हत्या कएलगेल अवस्थामे शव आइ भिन्सर भेटल अछि ।

विभत्स तरिकासँ हत्या कएलगेल अवस्थामे ढुंगानाके शव हुनके घर नजदिकक गल्लीमे भेटल छल । मृतक ढुंगाना नेपाल वायु सेवा निगमक एक कर्मचारी छलथि । बितल राति हुनक हत्या कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

घट्नास्थलसँ दारुके बोतल, जग प्लेट, गिलास सहितक सामानसब भेटल छल । ओतय घुर सेहो बारल गेल छल । पुलिस स्थानीय एक होटल व्यवसायी सहित तीन गोटेके नियन्त्रणमे लऽ पुछताछ करैत अनुसन्धान आगु बढौने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन