Tuesday, December 06, 2011

चितवन कारागार घट्नाक विषयमे संसद अवरुद्ध


काठमाडौ, अगहन २० । प्रमुख प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस आइ चितवन कारागारमे भेल आक्रमणके घट्ना बारे गृहमन्त्रीके  जवाफ नहि देबयधरि संसद चलय नहि देबयके अडान लेलाबाद व्यवस्थापिका संसदक बैसार किछ कालके लेल स्थगित कएलगेल अछि ।

संसद सुरु होइते कांग्रेसक सभासदसब गृहमन्त्रीके जवाफ आबयके माँग केने छलथि । जिल्ला कारागार चितवन भितर पुर्पक्षके लेल रहल तरुण दलक जिल्ला सभापति शिवप्रसाद पौडेल सहितक एक समूह आक्रमण कऽ गम्भीर घाइल बनौने अछि । जेल भितरे सुरक्षा नहि रहल कहैत कांग्रेस आपत्ति जनौलक अछि । कांग्रेस सभासदसबहक बिरोध आ माँगके बाद सभामुख अढाइ बजेधरिके लेल संसद स्थगित केने छल ।

अहिबीच, बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माण कऽ जारी करयके संवैधानिक समिति तयार केने कार्यतालिका अनुमोदन करय किछ कालमे संविधानसभाक बैसार बैसय जाऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन