Friday, December 09, 2011

देउवाके चुनौति- 'सकैत छी तऽ निर्णय बदैल कऽ देखाउ'


गुल्मी, अगहन २३ । नेपाली कांग्रेसक बरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा सहमतीय सरकारक प्रधानमन्त्रीक लेल कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बहुमतसँ अपन पक्षमे निर्णय भऽ चुकल बतबैत ओइके बदैल कऽ देखाबय पार्टी सभापतिके चुनौति देलनि अछि ।

नेपाल प्रेस युनियन गुल्मी आइ तम्घासमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे बजैत नेता देउवा पार्टी सभापति सुशील कोइरालाक पक्षमे अखन बहुमत सदस्य होइतो ओइके उल्टाबय नहि सकब कहैत अपने प्रधानमन्त्री बनयके दावी सेहो कएलनि । नेता देउवा कहलनि 'सकैत छथि तऽ पार्टी सभापति निर्णय उल्टा कऽ देखौबथ ।'

देउवा अपने पहलमे पार्टी एकीकरण भेल बतबैत ओहिके आरो एकजुट बनाबय दौडधुप कऽ रहल बतौलनि । मुदा सभापति सहमति नहि कऽ चलय चाहताह तऽ अपने हात पैर पकरि कऽ रोकय नहि सकब बतबैत ओ सभापतिके व्यवहार देख कऽ मात्रे अपने आगु बढब बतौलनि । नेता देउवा अल्टिमेटममे कोनो विश्वास नहि करब कहैत अगहन मसान्त भितर भातृ संगठनके नाम मँगने बिषयमे कोनो जानकारी नहि रहल बतौलनि ।

एकटा दोसर प्रसंगमे नेता देउवा माओवादीक लडाकु रहयबला शिवर खाली, हतियार फिर्ता आ घर जमिन फिर्ता नहि होबयधरि शान्ति प्रकृया पुरा नहि हाएत कहैत ओहिके सम्पुर्ण जिम्मेवारी माओवादीमे रहल बतौलनि । नेपाली कांग्रेस गुल्मीके ३ नं. क्षेत्रीय सम्मेलन उद्घाटनके लेल नेता देउवा सहित केन्द्रीय सदस्यसब बालकृष्ण खाँड, चन्द्र भण्डारी, गगन थापा, प्रदिप गिरी सहितक नेता गुल्मी पहुँचल छथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन