Friday, December 09, 2011

सेमिफाइनलमे नेपाल पराजित


काठमाडौ, अगहन २३ ।  नेपालके हरबैत एसीसी ट्वान्टी-ट्वान्टी कप क्रिकेटके सेमिफाइनलमे अफगानिस्तान जितय सफल भेल अछि । नेपाल ९ विकेटसँ हारल अछि ।

खराव मौसमके कारण खेल १६ ओभरके मात्र कएल गेल छल । टस जित कऽ पहिने ब्याटिंङ केने नेपाल ९ विकेटक क्षतिमे ६८ रनमात्र बनौने छल । जवाफमे अफगानिस्तान ९ ओभर २ बलमे ७० रन बनौने छल । ओहिके लेल करिम सादिक तथा सविर नुरी एक विकेट लेलनि  । नेपालक लेल एकमात्र विकेट बसन्त रेग्मी लेलनि ।

अहिसँ आगु नेपालक लेल कप्तान पारस खड्का ३० रनक योगदान देने छलथि । अफगानिस्तान अहिसँ आगु लगातार दु बेर उपाधि जित चुकल अछि । प्रतियोगितामे हार भेलाबाद बहरएला बादो नेपाल सन् २०१२ के मार्चमे हवबयबला विश्वकप छनोटके लेल चुना गेल अछि ।

ट्वान्टी ट्वान्टी क्रिकेटमे अफगानिस्तानसँग नेपालक इ दोसर हार अछि । अहिसँ आगु सन् २००७ मे भेल पहिल संस्करणमे सेहो नेपाल पराजित भेल छल ।

यूएइमे सन् २०१२ के मार्च १३ सँ २४ धरि हवबयबला प्रतियोगितामे १६ टिम प्रतिस्पर्धा करत । अफगानिस्तान, क्यानाडा, आयरल्यान्ड, केन्या, नेदरल्यान्ड्स, स्कटल्यान्ड सहित एसियाके ३, यूरोप, अफ्रिकी आ अमेरिकी क्षेत्रसँ २ - २ तथा पूर्व एसियाके एक टिमके सहभागिता रहत । छनोटके फाइनलमे पहुँचय सफल २ टिम सन् २०१२ के सेप्टेम्बरमे श्रीलंकामे होबयबला  ट्वान्टी-ट्वान्टी विश्वकपमे सहभागिता जनाओत । विश्वकपमे १० टा टिम खेलत ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन