Friday, December 23, 2011

गाडी उनटलासँ एक गोटेके मृत्यु


गजुरी (धादिङ), पुस ८ । पृथ्वी राजमार्ग अन्तर्गत  थाक्रे ४ स्थित सातकिलोमे आइ भिन्सर ३ बजेदिस सुन्तला लऽ क जाऽ रहल  गाडी उनटलासँ एक गोटेके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल अछि ।

लमजुङसँ राति ओ गाडी चढि कऽ  आएल ओ ब्यक्तिके  नाम पता खुजय नहि सकल अछि । लमजुङसँ सुन्तला लऽ काठमाडौदिस जाऽ रहल बा ५ च ६९१९ नम्बरक टाटामोबाइल गाडी सडकसँ अन्दाजी ३० मिटर निचा महेशखोलामे खसि कऽ दुर्घटना भेल अछि ।

शव गाडीसँ पिचाएल अवस्थामा रहलासँ राति निकालय नहि सकल इलाका प्रहरी कार्यालय खानीखोला जनौलक अछि ।  दुर्घटनामे गाडीचालक नौबिसे१ के सन्तोष खत्री  सामान्य घाइल भेल अछि । घटनामे पुलिस आ स्थानीयवासी उद्धार केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन