Friday, December 23, 2011

विद्यार्थीके अपहरणमे संलग्न ४ गोटे पुलिसक नियन्त्रणमे


धनबीर कुशवाहा
८ पुष महोत्तरी । महोतरीके बर्दिबाससँ विद्यार्थीके अपहरण केने आरोपमे पुलिस ४ गोटेके गिरफ्तार कऽ आइ सार्वजनिक केलक अछि ।

अगहन २२ गते बर्दिवासके विद्यार्थी कृष्णकुमार महतोके अपहरण केने आरोपमे पुलिस महोत्तरी किसान नगरके राम पुकारसिंह, भोरिल महतो, प्रदीप कुमार सिंह आ राम किशोर सिंहके गिरफ्तार कऽ ईलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवास आइ सार्वजनिक केलक अछि । अपहरित महतो पुस १ गते भारतके मधुवनी बलबा चरौतसँ १० लाख फिरौती बुझा कऽ अपहरण मुक्त भेल छल ।

घटनामे संलग्न रहल अन्यके खोजी कार्य तीब्र रूपसँ भऽ रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिवासके प्रहरी निरीक्षक रमेश बस्नेत जानकारी देलनि । पीडित कृष्णकुमार महत्तोके बाबु जन्नुलाल महत्तो देने किटानी जाहेरीके आधारमे ओकरासबके गिरफ्तार कएलगेल इलाका प्रहरी कार्यालय बर्दिबास जनौलक अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन