Friday, December 23, 2011

अर्थमन्त्रीद्वारा बैंकरसबके ब्याजदर घटावय आग्रह


काठमाडौ, पुस ८ । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन वाणिज्य बैंकके प्रमुख कार्यकारी अधिकृतसबके ब्याजदर घटावय आग्रह केलनि अछि । बैंकसबमे पर्याप्त तरलता रहितो  ब्याज बढल कहैत घटावय आग्रह केलनि अछि ।

अहिसँ आगु प्रधानमन्त्री डा‌. बाबुराम भट्टराई सेहो पर्याप्त तरलता होइतो बैंकसबहक ब्याज नहि घटलासँ अश्चर्य ब्यक्त केने छलथि ।

आइ भिन्सर १० बज्सँ १२ बजेधरि बैंकरसबसंग चलल बिमर्श कर्जा प्रवाहके बारेमे केन्द्रित रहल अर्थमन्त्री पुनके प्रेस संयोजक मनोज घर्तीमगर जनौलनि अछि ।

बैंकके कार्यकारी अधिकृतसब बैंकमे तरलताके समस्या नहि भेल जानकारी करौने छलथि । साथे तरलताके समस्या नहि होइतो विभिन्न कारणसँ लगानीमे समस्या भेल हुनकासबहक कहब छलनि ।

बैंकरसब मजदुर समस्यासँ औद्योगिक क्षेत्रमे कएलगेल लगानी उठय नहि सकल उल्लेख करैत लगानी वृद्धि करय लेल मजदुर समस्या समाधान  आ प्रशासनिक नियम सहज होवयके सुझाब देने छल । बिमर्शमे दु दर्जनसँ बेसी बैंकके कार्यकारी अधिकृतसब सहभागी रहल बताओलगेल अछि ।

अर्थमन्त्री पुन लगानीमे विविधिकरण करय तथा कृषी, पूर्वाधार आ सेवा क्षेत्रमे लगानी करय आग्रह केने छलथि । बिमर्शमे सहभागी राष्ट्र बैंकके गभर्नर युवराज खतिवडा बैंकसब बैंकमे आएल ग्राहकसबके समटयसँ मात्रे नहि कि बैंकसबे अपनो ग्राहक खोजय लेल सुझाव देने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन